







Memo Khabar 
राजविराज । सप्तरी राजविराजक सातटा दोकान खरीद बिल नहि देखौलनि आ निगरानी मे असहयोग कएला पर जुर्माना लगाओल गेल अछि। सप्तरीके स्थानीय प्रहरी प्रशासन, घरेलु तथा साना उद्योग कार्यालयके समन्वयमे बृहस्पतिदिन दोकानके निगरानी कएलगेल छल ।
खाध गुण तथा नियन्त्रण कार्यालयके सुरेश सिंह जानकारी करौलनि अछि जे दोकान पर खरीद बिल नहि रखनाई, मॉनिटरिंग मे असहयोग आ मूल्य सूची नहि रखला के कारण कार्यवाही कएल गेल अछि । हुनकर अनुसार मूल्य सूची नहि रखला पर राजविराजक दास हार्डवेयर पर ५० हजार रुपैया जुर्माना लगाओल गेल अछि ।
वाणिज्य, आपूर्ति एवं उपभोक्ता संरक्षण कार्यालय के सूचना अधिकारी दिलीप खांग खतबे के कहनाय छनि जे राजविराज के नूर फ्रूट एंड जनरल स्टोर, नदीना फ्रूट आ जनरल स्टोर पर २० हजार, गौरब ट्रेडर्स एंड सप्लायर पर १० हजार आ सीता ट्रेडर्स आ लेडी कलेक्शन पर ५ हजार के जुर्माना लगाओल गेल । खतबे के अनुसार बालाजी फूड क्रय एण्ड सेल सेंटर आ न्यू पूजा बस्त्रालय पर निगरानी कार्य मे सहयोग नहि करबाक कारण २० हजार रुपैया जुर्माना लगाओल गेल अछि।



हामी क्षमा चाहन्छौं यो पोस्ट धेरै पुरानो भएको ले कमेन्ट बक्स बन्द गरेको छौं |